भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

चुरू भरि पानि / चन्द्रनाथ मिश्र ‘अमर’

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

भाषा संस्कृति पर प्रहारकऽ
घूमि रहल पुनि छाति तानि,
नीचाँ सँ ऊपर धरि शिक्षाकेँ
कयलक सब ठाम उबानि,
पैर तरक धरती धसले अछि
ऊपर धीपि रहल अछि चानि,
तेँ मिथिलावासीकेँ चाही
केवल आब चुरू भरि पानि।