भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

चौकस / ककबा करैए प्रेम / निशाकर

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

विनाशकाल अयला पर
तीर
तरकसमे राखले रहि जायत अछि
आ लोक
शत्रुक हाथे पराजित भऽ जायत अछि
हर क्षण
अपन हथियारकें तैयार नहि राखू
आँखि
नाक
आ कानकें सेहो
चौकस राखू।
भऽ सकइए
शत्रु
शत्रुक रूपमे नहि
मित्रक रूपमे प्रकट होअय।