भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

जखन चलल बर सुन्दर रे / मैथिली लोकगीत

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

मैथिली लोकगीत   ♦   रचनाकार: अज्ञात

जखन चलल बर सुन्दर रे
मन हर्षित भेल
पाछू सँ चन्द्रबदनि धनि रे
आँगुर धए लेल
केयो सखि छत्र छांह देल रे
केयो बेनिया डोलाय
केओ सखि सिन्दूर आर देल रे
केयो मंगल गाबय
पिया पहिरन पीअर धनी लाल रे
जोड़े गेठबन्हन
गोर लागय चलली देव रे
जहाँ आदिभवानी