Last modified on 19 दिसम्बर 2015, at 18:24

झुनुर बाजै जानकी के पैजनियाँ / शिव कुमार झा 'टिल्लू'

झुनुर बाजै जानकीके पैजनियाँ
चहकि उठली मिथिलादेशक रनियाँ
तात जनक सिया- हियासँ लगौलनि
हाथ पकड़ि रघुवरकेँ धरौलनि
चिंहुकलि बाझल कंठसँ धनियाँ
मिथिलादेशक रनियाँ ...............
नेना विकल कांति नोरसँ भरल अछि
मंडप विवाह सुमन कांचन सजल अछि
सरित नोर नैन नानी आजी कनियाँ
मिथिलादेशक रनियाँ ...............
साधनशील समरथभरि कैंचा लुटाबथि
नृपक देल वसन दीन देहसँ लगाबथि
देखि धनकदान केलक कृपिन बनियाँ
मिथिलादेशक रनियाँ ...............
कोनो कजरी कोनो कात डहकन
चारू अवधसुतकेँ देखि उठल सिहकन
चारिगोट आसन लागल दुइजनियाँ
मिथिलादेशक रनियाँ ...............
मांडवी- उर्मि- श्रुतिकेँ धकधक्की बढ़लनि
माइक विछोह देखि सिया आँखि भरलनि
विदा देख' अयली कनियाँ मनियाँ
मिथिलादेशक रनियाँ ...............