भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

ठेकान / ककबा करैए प्रेम / निशाकर

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

जखन मोन होयतै
तखन
गंगामे चुभकबै
भरि-भरि चुरू
पानि पीबै
हेलबै
दीयरि पर जाय
ओंघरेबे
लोकगीत गयबै
फेर
माथ पर पगड़ी
हाथमे लाठी
महीस पर बैसि
तमाकू चुनाय
घर घुरि अयबै।

हमर ठेकान-
हम छियै
महीसबार
हमर घर
महीसक बथान
कार्यालय
महीसक पीठ।