भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

डमरु बजाक मन मोही लेलकै / मैथिली

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

   ♦   रचनाकार: अज्ञात

डमरु बजाक मन मोही लेलकै, गौरी के सजनमा
दौरी दौरी गौरी आसनी आन गेली
मृग के छाला ओछालेलकै, गौरी के सजनमा
डमरु बजाक मन...

दौरी दौरी गौरी तेल आन गेली
अँगोमे भस्म रमालेलकै, गौरी के सजनमा
डमरु बजाक मन...

दौरी दौरी गौरी माखन आन गेली
भाँगके गोला चिबा लेलकै, गौरी के सजनमा
डमरु बजाक मन...