Last modified on 1 जुलाई 2014, at 21:42

दशरथ तेजल परनमा हो रामा / मैथिली लोकगीत

मैथिली लोकगीत   ♦   रचनाकार: अज्ञात

दशरथ तेजल परनमा हो रामा
राम गेला बनमा
राम गेला वनमे लखन गेला संगमे
संगमे सिया सुकुमारि हो रामा
राम गेला बनमा
राम गेला बनमे अवध अन्हार भेल
रघुपति बिनु किछु ने रहल हो रामा
राम गेला बनमा
इहो अपजस माता कैकेइ लेलनि
प्राण हतब एहि छनमा हो रामा
राम गेला बनमा
तुलसीदास प्रभु तुम्हरे दरस के
राखू प्रभु अपन शरणमा हो रामा
राम गेला बनमा