मैथिली लोकगीत ♦ रचनाकार: अज्ञात
देखियौ चलितर मैया दुर्गा के
रचना रचै छै दुर्गा मैया
मोती दुलरा लग जतरा करै छै
फलका ऊपरमे दुर्गा जुमि गेल
सात सय पाठ मोती खेलबैय
तहि असरमे दुर्गा जुमि गेल
पड़लै नजरिया मोती राम दुलरूआ के
किय कारण मैया फलका पर अयलेही
तेकर खबरिया देवी हमरा कहि दे