Last modified on 1 जुलाई 2014, at 07:01

देखू सखि दाइ माइ, ठकलक बभना आइ / मैथिली लोकगीत

मैथिली लोकगीत   ♦   रचनाकार: अज्ञात

देखू सखि दाइ माइ, ठकलक बभना आइ
पहिने सुनैत छलियनि जस तीन भुवन,
आब सुनैत छियनि घर नहि आंगन
भोला के माय-बाप नहि केयो छनि अपना
गौरी के सासु-ननदि सब सपना
गौरी तप कयलनि रात दिना, तिनका एहन बर देल विधना
भनहि विद्यापति सुनू मैना, नाचथि सदाशिव भरि अंगना