Last modified on 1 जुलाई 2014, at 15:56

नगर मे पड़ल हकार पुकार / मैथिली लोकगीत

मैथिली लोकगीत   ♦   रचनाकार: अज्ञात

नगर मे पड़ल हकार पुकार जनक ऋषिके
चलू सखि देखन जाहु नाथ रघुपति जी के
मंडिल निपब आजु पिठारक अरिपन
बैसलि जानकी साथ नाथ रघुपति जी के
खोआ दूध मिश्री दय डालल
भोजन करू शिव आज लाज नहि मानिय
भनहि विद्यापित गाओल फल पाओल
धन गौरी के भाग सुन्दर बर पाओल