भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

निर्दोष, निरीह लोकक कियै जान जा रहल छै / बाबा बैद्यनाथ झा

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

निर्दोष, निरीह लोकक कियै जान जा रहल छै
देखू तँ अपन देशक सम्मान जा रहल छै

बढ़लै-ए अनय फेरसँ-रावण आ कुम्भकर्णक
निष्फल ओ वीर रामक सभ वाण जा रहल छै

अपनेमे सभ कटैए अपना लए सभ मरैए
बाजू कतऽ मनुजकेर संतान जा रहल छै

मायक शरीरकेँ ओ खंड-खंड काटि रहलै
सभ व्यर्थ महापुरुषक बलिदान जा रहल छै

तेहन बसात बहलै किछु स्वार्थकेर खातिर
मजहब आ जाति-इज्जति ईमान जा रहल छै

कन्याक वयस पनरह बरक उमेर पचपन
गौना कराक बुढ़बा शमशान जा रहल छै

जहियासँ आबि गेलैए मुक्त छन्द, नव कविता
तहिएसँ मंच परस मृदु-गान जा रहल छै