भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

नेता बनबै... / चन्द्रमणि

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

बाबूजी औ बाबूजी नेता बनबै
नेता बनबै अभिनेता बनबै।
बाबूजी यौ देखियौ नेताजीके शान
डनलप देह चौतल्ला मकान
मोछ अलबेला देखू इम्पालाकार
झुकि-झुकि सब कहय जी सरकार
जीत लेबै भोट गुर सीख लेलौं हम
पब्लिक जौं बाप, हम बेटा बनबै-बाबुजी...
एक बेर जीत लिअऽ देखियौ कमाल
बाहर दरिद्रा जेबीमे टकसाल
दैत चकभौर जकरा ने मलाल
मुस्कीक छूरी सँ मिठका हलाल
आलाकमान केर मान देबै हम
मंत्रीजी बनिकऽ बिलेता बनबै-बाबूजी...
अभिनेताकें कहूकी हाल
डाँर डोलबैत भऽ जाइ मालामाल
फायर प्रुफ नहि आगिमे जरय
खसिकऽ पहाड़ सँ ओ ने मरय
सातटा लठैतकें पटकि देबै हम
दारासिंह बजारिकऽ विजेता बनबै बाबूजी...