भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

नैतिकता / चन्द्रनाथ मिश्र ‘अमर’

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

नैतिकताकेर ह्रासक चर्चा
सभा समितिमे होइ छै’ एहिना,
लसकल गोटी लाल होइत हो,
नहि ताकी पुनि वामा-दहिना।
घड़ुछा लटकल देखि झोंझमे
सत्ताकेर लगाबी लग्गी,
होइत रहओ पेट्रोल महग,
हम अपन चलायब पुरने बग्गी।