भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए
पति-पत्नी कथा / राजकमल चौधरी
Kavita Kosh से
स्त्री अपन सखा-सन्तान, भानस-बासन
सुख-सेहन्ता, पीठक
हरियर-पीयर दर्द, आ उधार-लहनाक
कथा
कहैत अछि,
कहैत रहि जाइत अछि भोरसँ साँझ धरि
बाड़ीक कोनटासँ
आङनक माँझ धरि
कहैत रहि जाइत अछि साँझ धरि
पुरुख ओहि स्त्री, आ ओहि स्त्रीक सखा-सन्तान
भानस-बासन, सुख-सेहन्ता पीठक
कथा
सुनैत अछि
सुनैत रहि जाइत अछि साँझसँ भोर धरि
ठोरक मन्द मन्द मुस्कीसँ
आँखिक नोर धरि
सुनैत रहि जाइत अछि भोर धरि
(सोना-माटि: वर्ष 1, अंक 1, फरवरी, 1969)