भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

पति परायणा महादेवि! ये कानब कियै ने बन्न करै छो / बाबा बैद्यनाथ झा

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

पति परायणा महादेवि! ये कानब कियै ने बन्न करै छो
अहींक मारल देखू निशिदिन हमहुँ कोना हकन्न करै छी

कृपा-दृष्टि एतेक अहाँकेर रोज महाभारत होइते अछि
तइयो बिसरि-प्रतिष्ठाकेँ अप्पन उनटे हमहि प्रसन्न करै छी

अहींक मोह-पाशमे कामिनी! मित्र-कुटुम्ब, गाम-घर छूटल
आवाहन कऽ रोजे जतनसँ नव-नव दुःख आसन्न करै छी

माथ चटा ऑफिससे जखने थाकल-मारल घर अबै छी
सिंहिनी जकाँ निज गर्जनसँ कोंढ़-करेजकेँ सन्न करै छी

अहाँक मुँहसँ आन ककरो नइहर छोड़ि बड़ाइ ने सुनलहुँ
लऽ शिकायत सभकेर मच्छड़ सन कान लग भन्न-भन्न करै छी

कते आस लगा कऽ ‘बाबा’ हाथ अहाँक दरमाहा छै छी
फैशनक सामान मँगाकऽ राशन लेल बिपन्न करै छी