पेपरवेट / दीप नारायण

कियो अबउक
बइसउक कुर्सी पर
बतियाउ आ चलि जाउ

किछु नहि बजैत अछि,
निर्विकार, निर्लिप्त,
देखैत रहैत अछि
गुनैत रहैत अछि
चुप-चाप,

कतेकोक आस
कतेकोक जीवन
कतेकोक पेंशन आ कि
कतेको रौदी-दाहिक
कतय लागल छैक अरंगा,

रुकल अछि कतेक मास सँ
प्रमोशनक फाइल,
ट्रांसफर प्रपोजल मे छैक कोन लफड़ा,
कतेक गेलै ऑफिस
कतेक घर,
उपर सँ नीचा धरि
कोन-कोन बाबूक मुँह मे
लागल छै खून

कहि सकैत अछि !
बहुत किछु

मुदा,
टेबुल पर पड़ल
चुप्पी लधने
मौन साधना मे
लीन अछि पेपरवेट।

इस पृष्ठ को बेहतर बनाने में मदद करें!

Keep track of this page and all changes to it.