प्रेम
आमद-खरच
विचारि कऽ नहि होइत अछि
ओ
बतास
आगि
आ पानि जकाँ
सहजे भऽ जाइत अछि।
प्रेम करे
कोनो समय नहि होइत अछि
ओ
कोनो समयमे
कोनो ठाम
ककरो सँ भऽ जाइत अछि।
प्रेम धनुषसँ छूटल बाण जकाँ लागि जाइत अछि
आ लोकक मोनमे
उछाहक समुद्र जागि जाइत अछि।