Last modified on 12 सितम्बर 2018, at 17:36

प्रेम-दू / ककबा करैए प्रेम / निशाकर

तोहर नील-नील आँखिक गंगामे
हेलब शुरू कयलहुँ हम
तखन जा कऽ पता चलल हमरा
ऊर्जाक अनंत स्रोत नुकायल छै

प्रेम
टानिक छै
कऽ देलकै हमर
कायाकल्प
नस-नसमे संचार होमऽ लगलै
उत्साहक
सहस्त्र गुण बढ़ि गेलैक हिम्मति
करेजकें भेटि गेलैक
दीयरि।