भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

बाँचत कोना परान / चन्द्रमणि

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

लड़का-केहन सुरेबगर रूप तोहर
तों धरती परहक चान
सोन छड़ी सन देह तोहर
आ‘ बिजुरी सन मुसकान
गे गोरकी! बाँचत कोना परान।
लड़की-अटर-पटर की बोल बजैछें
बातक करै ठेकान
बकर-बकर की मुँह तकै छें
कहतौ लोक बकान
करिकवा! नेत तोहर बेइमान।
लड़का-दूधक धोयल अंग तोहर की
चानीक चकमक काया
चकमक-चकमक नूया जेना
इन्द्रधनुष केर छाया
लड़की-षालिग्राम सन रंग तोहर
लागै छें कोनो खलासी
हमरा बापके तोरा सन-सन
दू-चारि दस चपरासी
लड़का-कारी छी पर चाहक तोहर
कारी छथि भगवान
लड़की-गुण हुनकर बड़ पैघ रै बउआ
तोरा मुँह ने कान-करिकबा....
लड़की-हम छी बड़का बापक बेटी
हमर तोहर नहि मेल
नीक छुछुन्नर के नहि लागै
माथ चमेली तेल
लड़का-गोर नारि तों गउरवे आनहरि
चिन्हबें कोनाकऽ हमरा
कमल फूल जौ तों छें गोरकी
हमछी प्रेमी भमरा
लड़की-बहुत जमेलें दोसर लग तों
मायाजाल वितान
लड़का-घायल कयलक मारिकें तोहर
नैना खंचि-खंचि वाण रे गोरकी....