मैथिली लोकगीत ♦ रचनाकार: अज्ञात
भागल तऽ बहुरहबा जाइ छै
दुलहा के तऽ आइ छोड़ाबै लय
आ भागल तऽ बहुरहबा जाइ छै
आ दुलहा छोड़ाबैय लय ने गय।
हौ प्रेमी सब
आब बुझि गेलै पाँचों हयऽ बहिनियाँ
मोतीराम आब अबै अय।
बुझि गेलै पाँचो मलीनियाँ
मोतीराम अबै छै ने अय।