भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

भूमिका / ककबा करैए प्रेम / निशाकर

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

अहाँ लग
धन अछि
बल अछि
संसारक सभ साधन अछि
मुदा,
ककरो
एक टुकड़ी सोहारी
एकटा नवका नूआ
आ एकटा घर देबाक लोभ दऽ
नहि छीनू ओकर धर्म
ओकर गरीबीकें ढाल नहि बनाउ
धर्मांतरण कराइयो कऽ
ओकरासँ अहाँ
ओकर संस्कारकें
उकनि नहि पायब कहियो
जड़िसँ।