भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

भोला नेने चलू हमरो अपन नगरी / मैथिली लोकगीत

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

मैथिली लोकगीत   ♦   रचनाकार: अज्ञात

भोला नेने चलू हमरो अपन नगरी
अपन नगरी यो कैलास पुरी
पारबती के हम टहल बजायब
नित उठि नीर भरब गगरी
बेलक पतिया फूल चढ़ायब
नित उठि भांग पिसब रगड़ी
भनही विद्यापति सुनू हे मनाइनि
इहो थिका दानीक माथक पगड़ी