भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

मनहर मुम्बई / आभा झा

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

भारतीक सभ क्षेत्र अलौकिक, हो दिल्ली आ कलकत्ता
चेन्नई चित्त के चोरा लेने छल, मनहर मुम्बई अलबत्ता।

उदधि उर्मि बिच उर आनंदित शिशुवत मन बिनु ईर्ष्या द्वेष
साँझ होइत 'ताज' क सुन्दरता लखि दृग तृप्त करैछ अशेष

प्रकृतिक सुषमा परम रम्य संग भव्य भवन छूबैछ अकास
तन मन में स्फूर्ति बढ़ाबय प्रभाकरक नित दिव्य प्रकाश।

फैशन के ई मुख्य केन्द्र थिक कहबय देशक 'प्रवेश द्वार'
अभिनेता अभिनेत्री सबहक चास बास केर ख़ूब पसार।

फ़िल्म सिटी के बात ने पूछू, जेम्हरे देखब तेम्हरे धूम
ततेक रमनगर दृश्य रहै जे नजरि कैमरा कयलक जूम।

यद्यपि महानगर मनभावन, तदपि मातृ भू प्रति अनुराग
मैथिलीक संतति हम सदिखन गर्वित भेल सराही भाग।