भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

माइ हे सात बहिन हम / मैथिली लोकगीत

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

मैथिली लोकगीत   ♦   रचनाकार: अज्ञात

माइ हे सात बहिन हम योगिनी नैनहु थिकी जेठ बहिनी
माइ हे तिनकहुसँ योग सिखल तिन भुवन योग हांकल
माइ हे समुद्रहु बान्ह बन्हाओल तैं हम योगिनी कहाओल
माइ हे तरहथ दही जनमयलहुँ तैं हम योगिनी कहेलहुँ
माइ हे सुखायल गाछ पन्हगेलहुँ तैं हम योगिनी कहेलहुँ
माइ हे बांझिक कोखि पलटलहुँ तैं हम योगिनी कहेलहुँ
माइ हे भनहि विद्यापति गाओल योगिनीक अन्त न पाओल