भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

मिथिलामे ताकि रहल छी / एस. मनोज

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

हम मिथिलामे ताकि रहल छी
पोखरि पोखरि माँछ मखान
पढ़ल-लिखल हम्मर सभ बेटा
दिल्ली पटनामे फिरिसान।

श्रमिक लेल नहि कतहुँ बोनि अछि
कृषक लेल नहि कत्तहु काज
पढ़ल-लिखल जे नवतुरिया अछि
ओ सभ केहन भेल अकाज

बाटमे हमला, घरमे हमला
बच्ची-बूढ़ी सबहक साथ
अखनहुँ त' प्रतिवाद करै जाउ
अपन-अपन बढ़बू हाथ

राजनीति सँ नीति हटल आ
राज करै अछि पूँजीतंत्र
धनबलमे जे बिला गेल अछि
ओत्तहि आनू जन केर तंत्र।