Last modified on 13 मार्च 2019, at 13:54

मिथिला में राम खेलथि होरी / मैथिली लोकगीत

मैथिली लोकगीत   ♦   रचनाकार: अज्ञात

मिथिला में राम खेलथि होरी
अबीर गुलाल कुमकुम केसर
सखियन के सोभे नकबेसर
हाथ में लेलन अबीर झोरी, मिथिला में...

आजू जनकपूर रंग में सनल
मैथिल हिया आनन्द समायल
सब देखे प्रेमक टोली, मिथिला में...

सीता राम छवि अति प्यारी
नवल बसंतक महिमा न्यारी
युगल सरस मन की भोरी हो, मिथिला में...