भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

मीता / गंग नहौन / निशाकर

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज


मीता
के देत एहन समयमे
एक लोटा जल
बैसऽ लेल खटिया
आ बाजत टूटा मधुर बोल?

मीता
के खुनबाओत नहरि
एहि ठेठ देहातमे
इन्दिरा आवास योजनासँ
के बनबाओत पजेबाक मड़ैया?

मीता
के आनत बसन्त
सरिसोक फूल
कोइंलीक बोल
फगुआक तान
नवयौवनक नैसर्गिक मुस्कान?
मीता
के समझाएत
गीताक ऋचा
वात्स्यायनक कामसूत्र
राजकमलक मुक्तिप्रसंग?

मीता
के लिखत
चतुर्भुज स्थान
काशी
आ सोनागाछीक वेदना?