Last modified on 1 जुलाई 2014, at 17:18

मोहि तेजि पिया गेला विदेश / मैथिली लोकगीत

मैथिली लोकगीत   ♦   रचनाकार: अज्ञात

मोहि तेजि पिया गेला विदेश
कोन परि खेपब वारि बयेस
नैन सरोवर काजर नीर
ढ़रकि खसल पहु धनिक शरीर
सेज भेल परिमल फुल लेल बासे
कोन देश पिया पड़ल उपासे
कहथि उमापति सुनू ब्रजनारि
धैरज धय रहु, भेटत मुरारि