भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

यात्री बाबाक लेल / गुंजनश्री

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

ऐं यौ बाबा
कोना बुझलियैक आहाँ
जे मठ आ मठाधीश सब
गछारि लेतैक साहित्य के
आ बना लेतैक ओकरा
अप्पन बपौती
आ कर' लगतैक निषेध
नवतुरिया के स्वच्छंद अबरजात के
साहित्यक डीह पर,
जे द' देलियैक पहिलहिं नारा
"नवतुरिया आबय आगाँ"।
आहाँक ललकारा पर
उठल अछि घनेरो कवि
आ क' रहल छैक
सतत अप्पन सर्जना
निर्द्वन्द, निश्छंद।

धू! इहो कोनो
गेनाय छैक
जे गेलाक एतेक बरख बादो
आहाँ छि उपस्थित
कपाल-कोटरी मध्य
हमरा सन-सन
घनेरो नवतुरिया के।

मुदा ई सब नहीं कहबाक अछि
आई त' कह' आयल छि जे-
बाबा यौ
"हेप्पी बर्थ डे बिलेटेड"