भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

रंग / ककबा करैए प्रेम / निशाकर

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

अहाँ एक्के रंग पर एतेक जोर
किएक दऽ रहल छी?

अहाँ छोडू राजनीति
उतारू अपन आँखि पर चढ़ल खास रंगक चश्मा
देखू
प्रकृति कतेक रंग बनबै छै
कतेक भिन्न होइत छै
एक पातक रंग दोसर पातसँ।

आउ
रंगकें रंगक रूपमे देखल जाय।