भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

रानी बेटी: राज बेटा / चन्द्रमणि

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

लड़का-इत करैला तीत करैला तीत नीमक झोर रे
राजा बेटा बड़ दुलारू रानी बेटी थोर रे।
लड़की-रानी बेटी सय्च-मय्च बैसय माइक कोर रे।
राजा बेटा छै खुरलुच्ची कानय भोरे-भोरे रे।
उज्जर दही उज्जर मही उज्जर चन्ना माँछ
ताहू सँ जे उज्जर लागै रानी बेटीक दाँत
कारी आपरि कारी खापरि कारी भादव मेघ
ताहू सँ जे कारी लागै रानी बेटीक केष
कारी-कारी राजा बेटा रानी बेटी गोर रे
रानी बेटी बड़ दुलारू राजा बेटा चोर रे।। इत

लड़का - हरयिर लत्ती हरयिर पत्ती हरियर दूबि-धान
ताहूसँ जे हरियर चाभै राजा बेटा पान
लाल इंगुर लाल सिंदुर लाल अरहुल फूल
लाले-लाले झुलना पर राजा बेटा झूल
रानी बेटी के झुलेतनि छथि मुँहक जोर रे
राजा बेटा बर दुलारू रानी बेटी थोर रे।। इत

माय-पीअर सोना चान सलोना पीअर गोटक फूल
बाउ बसन्तक झुलना पर दुनु गोटा झूल
माइक नैनक दुनू तारा बाबा छथुन्ह एक
सब बहिनक भाय दुलारू तोहूँ दुनू देख
तों सब हो बुधियार चढ़ाले मुस्की दुनू ठोर रे
दुनू गोटा बड़ दुलारू भेलै सौंसे शोर रे।। इत