भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

राम-शक्ति अनुसंधान, महान हमर मैथिली / भास्करानन्द झा भास्कर

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

राम- शक्ति अनुसंधान, महान हमर मैथिली
जीवन केर दर्शन ज्ञान, मान हमर मैथिली

मधुर मिश्रित बोलक सुन्नर घोल अनमोल
माछ -पान-मखान, पहिचान हमर मैथिली

उन्नत मन-मस्तिष्क ज्ञान रक्ताभ क्षितिज
संस्कॄति साहित्य-गौरव तान हमर मैथिली

विद्यापति -मंडन -सलेस -चंदा -लोरिकक देश
महिमा गान केर तान बखान हमर मैथिली

जन जनमे जनक नन्दिनीक प्रति प्रेम अगाध
हरित-भूमिमे उगल हर्खक धान हमर मैथिली

ब्राह्मण क्षत्रिय वैश्य माथा पाग केर ई उदघोष
बाजै चमार पासवान मुसलमान हमर मैथिली