भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए
लाज / हंसराज
Kavita Kosh से
ओहि दिन क्रोधावेशमे
जखन हम अपन बापक कपरा फोड़ि देल
तँ भरि गामक हगामा लोक जमा भेल।
आ, बिना किछु बुझने
बिना किछु सुनने
सभ हमरा कहलक, ‘दुर छि; दुर छि;।’
आ लाठी पटकि जखन हम
घाड़ सोझ क’ कह’ लगलहुँ
तँ सभ क्यो बुझलनि
सभ क्यो सुनलनि
आ, सभ हमर बापकें कहलनि, ‘दुर छिः दुर छिः।’
किन्तु जखन हमर बाप
माथा हाथ द’ साश्रु नयन कहलनि तँ सब किछु बूझि क’
सभटा सूनि क’
सभ क्यो अपन मुँह लाजें लाल क’
घर जाइत गेलाह।