भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

लोकसभासँ शोकसभा धरि / बुद्धिनाथ मिश्र

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

महगू बाजल --
कते महगी आबि गेल छै !
दालि-चाउरमे तँ
आगि लागिए गेल छै ।

कथीसँ डिबीया लेसी
मटियाक तेलो
उड़नखटोला भ, गेल।

मुदा मन्त्रीजी नहि मानलनि ।
लुंगी उठा-उठा क’ देखबै छथि-
एहि विकासशील अर्थव्यवस्थामे
कते सस्त भ’ गेल छै
लोकक जान-परान
महानुभावक चरित्र
बेनगंन मौगीक शील ।

कतेक सस्त भ’ गेल छै
पंडिज्जीक पोथी-पतरा
गोसाउनिक गीत
चिनबारक माटि
आ टीवी चैनलक मौसगर मनोरंजन ।

मन्त्रीजी नहि देखा रहल छथि
ओ सुरंग जे लोकसभासँ शोकसभा धरि जाइ छै ।
ओ नहि देखा रहल छथि
नीलामी घर
जाहमे मैनोक पात बिकाइ छै
करोड़क करोड़मे !

ओ नहि देखा रहल छथि
बघनखा पहिरने हाथ
जे महानसँ महान योजनाक
मूड़ी पकड़ि क’ सौंसे चिबा जाइ छै ।

कुसियारक रस बटैछ सदनमे
आ सिट्ठी फेकाइछ
गामक माल-जालक आगाँ ।

लोक माल जकाँ
मरि रहल अछि
कि माल-जाल लोक जकाँ-
से कहब कठिन ।