भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

वादमुक्त / गंग नहौन / निशाकर

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज



वादमुक्त नहि भेल अछि
कोनो पार्टी
सरकार
आ ने कोना मुलुक।

आदिकालसँ वादमुक्त अछि
अकासक चिड़ै
बसात
आ धारक हिलकोर।

सभ दिन वादमुक्त रहत
प्रेमक पाठ सौन्दर्यक शास्त्र
आ सृजनक सरोकार।