भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

विकासक होहकारा / अविरल-अविराम / नारायण झा

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

कटि रहल छै
अंडी, बघंडी
आम, जामक गाछ
पड़ि रहलैए दिवा-राति
विकासक होहकारा।

जे०,सी०,बी० केर चक्का
साटि रहल छै माटि मे
हरियर कचोर गँहुम
गम्हरायल धानक बीट केँ।

चअड़-चाँचड़िक
खत्ता-खुत्ती आ पोखरिक
माछ, काछु सभहक
डोलि रहल छै
पेटक पानि ।

परती-परांत
जतय थुथनाबै छल
माल-जाल अपन थुथुन
कहाँ बचि पओतै आब?

पसरले जा रहलैए
मानव-आवासक महाजाल
अट्टालिका पर अट्टालिका
एक महादेश स' दोसर महादेश धरि
लागिये जेतै एकपेरिया।