भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

विशिष्ट / कीर्तिनारायण मिश्र

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

हम भीड़मे हेरा गेल छी
हमर कथ्य-अकथ्य क्यो नहि सुनि पबैत अछि।
बुझना जाइछ
आत्म-उद्घोषणाकेर युग
व्यतीत भ’ चुकल अछि
आ’ जीबाक लेल
मात्र श्रोता बनि जिउनाइ आवश्यक।

विशिष्ट कहएबाक
अपन महत्वाकांक्षाकेर दाह-संस्कार करब उचित
किऐक तँ
भीड़, भीड़ थिकै
ओकरा लेल
विशिष्ट आ अदनामे कोनो अन्तर नहि।
ओतय तँ केवल चीत्कार
अनेकानेक कण्ठ-स्वर
रूदन-हास्य समाहार।
ओतय स्वरक विशिष्टता
कोलाहलक समुद्रमे विलीन भ’ जाइत छैक
प्रलयकेर बादक शान्ति जकाँ
प्रत्येक हेराएल चीन्हि लेल जाइत अछि।