भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए
Changes
Kavita Kosh से
लेखक राजकीय मध्य विद्यालय रहुआ - संग्राम , प्रखंड - मधेपुर , जिला - मधुबनी ( बिहार ) मे शिक्षक रूप मे सेवा दैत लेखन कार्य मे लागल छथि । छथि। एखन तक दू गोट पोथी प्रकाशित छनि । छनि। पहिल पोथी " प्रतिवादी हम " कविता संग्रह पर साहित्य अकादेमी युवा पुरस्कार २०१५ प्राप्त छनि । छनि। दोसर पोथी २०१७ ई ० मे " अविरल - अविराम " कविता संग्रह प्रकाशित भेलनि अछि । अछि। निरंतर पत्र - पत्रिका सभ मे रचना प्रकाशित होइत रहै छनि । छनि। कविता , बाल साहित्य , आलेख लिखै संग थोड़ - बहुत गजल आ कथो पर काज कऽ रहला अछि । अछि। अध्ययनशील हेबा कारणे हालहि मे नालंदा ओपन यूनिवर्सिटी सँ एम ए ( मैथिली ) मे सर्वोच्च स्थान प्राप्त करबा पर राज्यपाल सँ गोल्ड मेडल प्राप्त केलथि आ संगहि मैथिली सँ यू जी सी नेट परीक्षा सेहो उत्तीर्ण भेलथि । भेलथि। एखन दू गोट पोथी अप्रकाशित छनि , से शीघ्रे प्रकाशित हेतनि । हेतनि। आगु पीएचडी कार्य मे अध्ययनरत छथि ।छथि।
हिनक मैथिली कविता नवता आ यथार्थताक परिचायक अछि । अछि। कविता मे शब्दक संयोजन अति विशिष्ट आ शैली सेहो अपन रहै छनि । छनि। विषय वस्तुक स्तर पर कविता केँ विराटताक संज्ञा देल जा सकैए । सकैए। जँ मैथिली कविता पढ़ब आ हिनकर पढ़ब , तँ अनचोकहुँ मे हिनक कविता चिन्हा जाएत । जाएत। तहिना बाल कविता मे , बाल मनोविज्ञानक चासनी मे बोरल कविता सभ बुझाएत , जे मैथिली साहित्यक लेल खास बात अछि । अछि। आलेख , कथा सेहो विशिष्ट रहै छनि ।