भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए
Changes
Kavita Kosh से
'{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=दीपा मिश्रा |अनुवादक= |संग्रह= }} {{KKCat...' के साथ नया पृष्ठ बनाया
{{KKGlobal}}
{{KKRachna
|रचनाकार=दीपा मिश्रा
|अनुवादक=
|संग्रह=
}}
{{KKCatMaithiliRachna}}
<poem>
माँ कहलैन
धान बनूँ
हम धान बनलौं
बाबू कहलैन
आगि बनूँ
हम आगि बनलौं
बाबा कहलैन
अहाँ बाट बनूँ
हम बाट बनलौं
दादी कहलैन
अहाँ दीप बनूँ
हम दीप बनलौं
धान
आगि
बाट
दीप
सबकिछु बनि जखैन
हम अपनाकेँ चीन्हब
शुरू केलौं
हमर दीप मिझा गेल
बाट कतौ हरा गेल
खोंइछमे धान भरि देल गेल
आगिक संग नब परिचय भेल
हम बस धान आ आगि संग
जीवन बितबय लगलौं
बाबा दादी के बात मोनकेँ
कहुखनकेँ मथैत रहल
फेर एक दिन
एकटा सूर्य चमकल
ओकर इजोतक चकचोन्हिसँ
दीप पजैरि गेल
बाट सोंझा आबि गेल
आब हम सूर्य दिस तकैत
धान,आगि संग
हाथमे दीप लेसने
नब बाटक सन्धानमे लागल छी
</poem>
{{KKRachna
|रचनाकार=दीपा मिश्रा
|अनुवादक=
|संग्रह=
}}
{{KKCatMaithiliRachna}}
<poem>
माँ कहलैन
धान बनूँ
हम धान बनलौं
बाबू कहलैन
आगि बनूँ
हम आगि बनलौं
बाबा कहलैन
अहाँ बाट बनूँ
हम बाट बनलौं
दादी कहलैन
अहाँ दीप बनूँ
हम दीप बनलौं
धान
आगि
बाट
दीप
सबकिछु बनि जखैन
हम अपनाकेँ चीन्हब
शुरू केलौं
हमर दीप मिझा गेल
बाट कतौ हरा गेल
खोंइछमे धान भरि देल गेल
आगिक संग नब परिचय भेल
हम बस धान आ आगि संग
जीवन बितबय लगलौं
बाबा दादी के बात मोनकेँ
कहुखनकेँ मथैत रहल
फेर एक दिन
एकटा सूर्य चमकल
ओकर इजोतक चकचोन्हिसँ
दीप पजैरि गेल
बाट सोंझा आबि गेल
आब हम सूर्य दिस तकैत
धान,आगि संग
हाथमे दीप लेसने
नब बाटक सन्धानमे लागल छी
</poem>