मैथिली लोकगीत ♦ रचनाकार: अज्ञात
शिव हो उतरब पार कओने विधि ना
भरल-पूरल अछि नहि परिवार
सपनहु सुख नहि, चिन्ता सवार
नहि हमरा रूप अछि, ने धनक शृंगार
तन अति खिन अछि, फूटल कपार
नहि हम मण्डन, नहि कालिदास
नहि हम विद्यापति, उगना खबास
जौं दरशन नहि पायब तोहार
जन्म बितायब तोरहि दुआर