सभ पात पुरातन टूटि गेल
निकलल कोमल सभ पात नवल
जामुन, कटहर, पीपर पलाश
कचनार आम आ अमलताश
सभ पर छायल नव-नव फागुलन
सभ झूमि-झूमि कए डोल रहल
निकलल कोमल सभ पात नवल
सौन्दर्यक नहि अछि ओर अंत
सभ रंग सहेजने अछि वसंत
गाछक कोमल सभ अंग-अंग
सुरभित वयार सै बेर छुअल
निकलल कोमल सभ पात नवल