सागर - अबितहिँ वर्षा सम्पदा, कलुषित उमड़ल धार
किन्तु महोदधि निर्मले भरितहुँ सरित हजार।।13।।
जलनिधि व्यर्थें नाम थिक, रत्नाकर पद फूसि
प्यासल कण्ठ न देल जल-बिन्दु, लवन धन हूसि।।14।।
नदी - गिरि गौरव नहि गुनल किछु समतल नहि सम भाव
चंचल गति सरिता क मति क्षार वारि धरि धाव।।15।।
घटज (अगस्त्य) - कोटि कोटि संघटित घट सिन्धु बीचि भसिआय
किन्तु घटज मुनि सिन्धुकेँ चुलुक बिन्दु पिबि जाय।।16।।
जलाशय - मल धोअय, मीनहु हतय, पशुहु नहाय निधोक
पोखरि! कमलालय तोँ ही कहओ जडा (ला) शय लोक।।17।।
कूप - झील झलक, झरना ललक सागर सगर हहाय
पथिक पात्र-गुन लहि लघुहु कूपहि प्यास मिझाय।।18।।