साक्षी: प्रत्यक्षी / सुरेन्द्र झा ‘सुमन’
मुख्य तार गुरु श्रीनारायण चन्द्रहु पूर्व समक्ष
माटि - पानि संसकर एक रस आरसीक उर स्वच्छ
साक्षी बालकृष्ण यादव अग्रज कुश कुशल समक्ष
छथि मैथुर प्रसाद यामुन ओ रामस्वार्थ परतच्छ
रामशरण ठाकुर प्रसाद श्रीकीर्ति गोविन्दहु बाल
रामेश्वर शिव - राम - नन्दनहु छोटे - दुनिया-लाल
बदरी हरिवंशहु कुल-वंशक अनुभव वयस समृद्ध
रमाकांत पुनि रामचन्द्र रघुबंश प्रशंसित वृद्ध
बूढ़ सूढ़ खेलावन राम सफल आनँद दृग लाल
औरो प्रौढ़ अधेर वयस जे गामक जानथि हाल
गणपति जामुन जनकहु योगी मंडल मंडित रूप
जंगल मंगल महाबीर यदि रघुवर राम सरूप
-- -- --
‘स्वर्गादपि गरियसी’ गामक धरती पूजनपर्व
संग सवर्ग देव-देवकीनन्छन लेब सगर्व
पूजब कन-कन, मन दय छन-छन जननी अवनी जन्य
श्री समरेन्द्र भविष्णु भार उपहार अरपि मन धन्य
संघ संघटनदिस रुचि जाग्रत जागरूक जत लोक
राष्ट्रभक्ति गंगा सागर संगम गामहु आलोक