भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

सीया के संग मन हारि हो रामा / मैथिली लोकगीत

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

मैथिली लोकगीत   ♦   रचनाकार: अज्ञात

सीया के संग मन हारि हो रामा
राम रमत बगिया मे
वन उपवन सभ हरित भेल
हरित पल्लव दुनू डरिया हो रामा
राम रमत बगिया मे
बेलि-चमेली जूही फुलायल
कुंजनमे फूलय अड़हुलिया हो रामा
राम रमत बगिया मे
केओ सखि लोढ़य बेली चमेली
केओ सखि हार गंथाबे हो रामा
राम रमत बगिया मे
हार गांथिय सीया राम पहिराओल
सीताराम जिया हरसाबे हो रामा
राम रमत बगिया मे