भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए
सूची / ककबा करैए प्रेम / निशाकर
Kavita Kosh से
भिनसार जे पानि गंगामे रहैत छैक
वैह पानि सँझ धरि नहि रहि जाइत छैक
ओ आगाँ बाढ़ि जाइत छैक।
भिनसर जे तारागण सूतल रहै अछि
निद्रामे लीन भऽ
साँझ धरि घर घुरि अबैत अछि।
बढ़नाइ
जगनाइ
सृजनशील प्रकृति अछि
आ लोकक खूबी सेहो।