मैथिली लोकगीत ♦ रचनाकार: अज्ञात
से चमड़ी तऽ आइ ओदारि देबौ मैया हम
एहि बरियातीमे
चमड़ी तऽ ओदारि देबौ मइया
एहि तऽ बरियातीमे ने गय।
आगै कतऽ गेलै सहोदरा
कत भागि कऽ चलि गेलै भैया हमर
कत तऽ भागि कऽ अभागिया जल्दी बतबियै
भैया अय।-2
से चमड़ी तऽ आइ ओदारि देबौ मैया हम
एहि बरियातीमे
चमड़ी तऽ ओदारि देबौ मइया
एहि तऽ बरियातीमे ने गय।
आगै कतऽ गेलै सहोदरा
कत भागि कऽ चलि गेलै भैया हमर
कत तऽ भागि कऽ अभागिया जल्दी बतबियै
भैया अय।-2