भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

सोना के खराम चढ़ि / मैथिली लोकगीत

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

मैथिली लोकगीत   ♦   रचनाकार: अज्ञात

सोना के खराम चढ़ि, ठाढ़ भेला रामचन्द्र गृह अपना
आहे हुकुम दिऔ माता कैकेयी, जेता वन रहना
किनकर इहो पुरपाटन, किनकर गृह अपना
आहे किनका पड़ल विपतिया, कि जेता वन रहना
दशरथ के इहो पुरपाटन, कैकेयी के गृह अपना
आहे सीता के पड़लनि विपतिया, राम जाइ छथि वन रहना
अयोध्या के राजा बौआ, अहां जाइ छी केना
आहे हमहूँ तऽ जाइ छी वनवास, वन रहना
किनबै मे जादूपति छुरिया, कि हतबैमे प्राण अपना
आहे राम लखन सन पुत्र, कि सेहो जाइ वन रहना