Last modified on 30 जून 2014, at 23:29

हनुमन्त अपनहि सऽ अयला मंदिर घर मे / मैथिली लोकगीत

मैथिली लोकगीत   ♦   रचनाकार: अज्ञात

हनुमन्त अपनहि सऽ अयला मंदिर घ्झार मे
नीचा पीड़िया बनाएब
ऊपर रोट चढ़ाएब
हनुमन्त अपने सऽ अयला मंदिर घर मे
नीचा ध्वजा गड़ाएब
ऊपर पताका टंगाएब
हनुमन्त अपनहि सऽ अयला मंदिर घर मे
नीचा फूल चढ़ाएब
ऊपर बेलपत्र चढ़ाएब
हनुमन्त अपनहि सऽ अयला मंदिर घर मे
नीचा धूप देखाएब
ऊपर दीप जराएब
हनुमन्त अपनहि सऽ अयला मंदिर घर मे