भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

हम्मर भइया कइसे आबय? / मैथिली लोकगीत

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

मैथिली लोकगीत   ♦   रचनाकार: अज्ञात

हम्मर भइया कइसे आबय?
हाथी पर बइसल आबय
पान ठोर रंगैत आबय
रुमाले मुह पोछैत आबय
कंघीये केस थकरैत आबय
चुगिला भरुआ कइसे आबय?
गदहा पर बइसल आबय
कोइले ठोर रंगैत आबय
खापड़ि मुह पोछैत आबय
झारुये केस थकरैत आबय
हमर भउजो कइसे आबय?
पालकी बैसि हँसैत आबय
सेनुर मांग करैत आबय
अयना मुह देखैत आबय
चुगिलाक मौगी कइसे आबय?
खटुली चढ़ल भरछूही आबय
कोइला मांग करैत आबय
तरबा मुह देखैत आबय