भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

हम नेह नगरकेर बासी छी / धीरेन्द्र

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

हम नेह नगरकेर बासी छी।
नहि कल, बल, छल हम किछु जानी,
बस स्नेहक टा विश्वासी छी।
हम जन्मजात अभिशप्त,
रहल सदिखन लक्ष्मीकेर कोप बनल।
वीणावादिनिकेर प्रेमी हम,
यायावरकेर ई वेष हमर।
नहि जानि ने क्ये अछि टूटि गेल,
माइक ममता, बापक सिनेह।
भाइक सम्बन्ध, बहिनक दुलार
स्नेहक बदलामे आघाते सहबाकेर
हम अभ्यासी छी।
नहि भेटओ कतहु ई भिन्न
मुदा स्नेहे टा काबा-काशी छी
हम नेह नगरकेर बासी छी !!